Categories
Categories
Vipin jha
by on September 8, 2020
67 views
आबि गेल चुनाव आब फेर बैसार होएत
गामे - गामे भाइ यौ निधोख प्रचार होएत
किछुए टाकाक लेल लोक देखार होएत
किछुए दिन गाम तँ भोंटक बाजार होएत
मंदिर- मस्जिदक अओढ़ ल' प्रहार होएत
लोक सँ लोकक तोड़ - जोड़ तैयार होएत
चौके -चौके पाग माला आ जएकार होएत
नेता लेल जनता बुझू भोंटक पैकार होएत
पिछुला बेर'क मुदा आब जुआन होएत
एमकी बेर भैया रोजगार'क एलान होएत
भाषण सँ लोकक खूब छुछ -दुलार होएत
कागत पर नीक सँ विकासक पलार होएत
बुझैत अछि 'विपिन' ई सपना लचार होएत
चुनावक बाद गाम टोल भथल इनार होएत
:- Vipin Jha
Source LINk:- https://vipin1996.blogspot.com/2020/09/blog-post_7.html
Posted in: news
Topics: election
Be the first person to like this.